एमएसयू’क कार्यकर्ता पर दरभंगा पुलिसक बर्बर कार्रवाई

    0
    233

    दिल्ली-मिथिला मिररः मुख्यमंत्रीकें ज्ञापन देवाक लेल गेल एमएसयूक कार्यकर्ता पर बिहार पुलिसक बर्बता
    दिल्ली-मिथिला मिररः मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक दू दिनक दरभंगा यात्राक दोसर दिन मिथिला स्टूडेंट यूनियनक किछु कार्यकर्ता लोकनि मिथिला क्षेत्रमे बंद पड़ल चीनी मिल सं जुड़ल विषयकें संबंधमे मुख्यमंत्री नीतीश कुमारकें ज्ञापन देवाक लेल गेल छलाह मुदा ओहिक्रममे संगठनक कार्यकार्ता लोकनि कें जाहि तरहें बिहार पुलिस द्वारा पीटल गेल ओ निंदनीय अछि। पुलिसया कार्रवाईमे कतेको छात्रकें चोट आयल अछि जखन कि अमित सिंह, विमल झा, सागर आ निकिता गुप्ता कें पुलिस हिरासतमे लेलक।
    अपने कें बाता दी जे मिथिला स्टूडेंट यूनियम पैछला किछु मास सं मिथिला क्षेत्रमे चीनी मिल कें पुनः चालू करेवाक लेल जमीनी स्तर पर एकटा मुहिम चला कऽ रखने अछि जेकरा व्यापक स्तर पर समर्थन भेट रहल छैक। एहनमे जखन मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक दरभंगा आगमन भेलनि त एमएसयू अपनामे विचार केलक जे चीनी मिल सं संबंधित ज्ञापन मुख्यमंत्री तक पहुंचा अपन मांगकें ओहिठाम राखब। दरभंगाक सीएम काॅलेजमे होइवला कार्यक्रम सं पूर्वहि ओहिठाम एमएसयूक कार्यकार्ता लोकनिक जुटानी भय गेल आ ओहिकें बाद पुलिसक जाहि तरहक कार्रवाई छल ओ नहि सिर्फ निंदनीय अछि अपितु एकरा अमानवीय कार्रवाई कें संज्ञा देल जाएत।
    पुलिसक कथन छल जे रोकलाक बादो प्रदर्शनकारी लोकनि नहि मानलाह आ हो-हांगामा करय लगलाह। मुदा इ कतय कें इंसाफ अछि जे ज्ञापन देवाक लेल गेल आंदोलनीकें माथ-कपाड़ फोड़ि ओकरा हाजतमे बन्न कय देल जाइ। मिथिलाक विकासक नाम पर मुख्यमंत्रीकें आगू ऐवाक चाही मुदा एकरा विडंबना नहि त आआरे की कहब जे मुख्यमंत्रीक सम्मुख मिथिलाक विकासक लेल युवा लोकनि जाइत छथि आ हुनका आश्वासनकें बादलामे अहि तरहक बर्बर कार्रवाईक सामना करय पड़ैत छन्हि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here