द्वालख नव निमार्ण समितिक प्रयास सं गामक बच्चा सब भय रहल अछि लाभान्वित

    0
    237

    दिल्ली,मिथिला मिरर-निशांत कुमार झाः मधुबनी जिलाक मधेपुर प्रखंडक द्वालख गाँवमे द्वालख नव निर्माण समिति कें तत्वावधान मे गरीब बच्चा सबहक पढ़ाई-लिखाई कऽ व्यवस्थाक संगहि पुस्तकालयक निर्माण करायल गेल। अहि पुस्तकालयकऽ निर्माण भेला सं विद्यार्थीक संग-संग गाँव वासी कें सेहो लाभ भेटतनि। द्वालख नव निर्माण समिति समाजिक, सांस्कृतिक, शिक्षा आ गरीबक बच्चा सबहक हर तरहक सेवा दइत अछि।
    समितिक कोषाध्यक्ष पंकज झा कहलनि पुस्तकालय मे प्रथम कक्षा सं लय स्नातक कक्षा तक कें लेल किताब उपलब्धि अछि संगहि अन्य लोकनिक लेल समाचार पत्र उपलब्धि अछि। एतबे नहि संस्थाक दिस सं इहो निर्णय लेल गेल अछि जे जाड़मे गामक जे निरीह व्यक्ति लोकनि छथि हुनका सबहक वास्ते गर्म कपड़ा व्यावस्था सेहो कराओल जाय जाहि सं ठंड सं पीडि़त व्यक्ति अपन जान सुरक्षित राखि सकैथ।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here