पद्म भूषण पुरस्कार सं सम्मानित भेलाह गायक उदित नारायण झा

    0
    312

    दिल्ली-मिथिला मिररः बाॅलिवुडक पाश्र्व गायक आ मैथिलीक सिद्धस्त चेहरा उदित नारायण झा कें गायकिक क्षेत्रमे हुनकर बहुमुल्य योगदानक लेल पद्म भूषण पुरस्कार लेल गृह मंत्रालय भारत सरकार हुनका नाम पर मोहर लगौने छल। 12 मार्च कऽ राष्ट्रपति भवन मे आयोजित पद्म सम्मान देवाक दोसर खेप मे गायक उदित नारायण झा केर पद्म पुरस्कार प्रदान कैल गेलनि। राष्ट्रपति प्रणब मुखर्जी गायक उदित नारायण झा कें देशक तेसर सब सं पैघ नागरिक सम्मान सं सम्मानित केलाह।
    राष्ट्रपति भवन मे आयोजित पुरस्कार समारोह मे महामहिम राष्ट्रपति, उदित नारायण झा’क छाती पर मेडल लगा आ प्रशस्तिपत्र आ शाॅल दय हुनका सम्मानित केलखिन। मिथिला मिरर संपादक ललित नारायण झा केर संग फोन पर भेल बातचीत मे उदित नारायण झा अहि सम्मानक देवाक लेल भारत सरकार कें कोटि-कोट प्रशंसा करैत अहि सम्मान कें मैथिलक सम्मान कहलनि। संगहि उदित नारायण झा इहो कहला जे ओ दीर्घकाल तक मिथिला-मैथिलीक सेवामे लागल रहताह आ अपन अवाज सं मिथिलाक नाम पूरा विश्वमे करवाक पूर्ण कोशिश करताह।
    मंगलदिन गायक उदित नारायण झा केर अलावे पत्रकारिता मे अभूतपूर्व योगदान देवाक लेल ईटीवीकें संस्थापक रामोजी राव कें पद्म विभूषण, जानल-मानल अभिनेता रजनीकांत आ भारतीय टेनिस स्टार सानिय मिर्जा कें पद्म भूषण, तहिना फिल्म अभिनेत्री प्रियंका चोपड़ा कें पद्मश्री सं सम्मानित कैल गेलनि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here