दिल्ली,मिथिला मिरर-जुली रानी झाः ओना त मिथिला-मैथिलीक लेल प्रायः सब दिन किछु ने किछु नव भय रहल अछि। मैथिलजनक बाद आ मैथिलानी लोकनि सेहो सब क्षेत्र मे अपन मिथिलाक नाम रौशन करवा लेल डेग उठा चुकल छथि। चाहे ओ भावना कंठ होइत आ कि आद्या नीरज। वर्तमानमे एक बेर एकटा मैथिलानी देशस्तर पर मिथिलाक नाउ कें नव भोर लिखवाक लेल तैयार छथि। रांचाीमे कार्यरत्त डाॅ. नीरज कुमार झा आ रिम्स रांचीमे कार्यरत्त डाॅ. स्मिता झा केर सुपुत्री आद्या नीरज मिस इंडिया केर 21 गोट फाइलस्टिक सूचीमे अपन जगह बनौलनि।
नेशनल लाॅ यूनिवर्सिटी रांची’क छात्रा आद्या नीरज’क इ उपलब्धि निश्चित रूपहिं मिथिलाक लेल एकटा शुभ संकेत अछि। 21 मार्च सं फाइनल राउंडक शुरूआत हैत आ 9 अप्रैल कऽ मुंबईमे तीन गोट चेहरा कें क्रमशः प्रथम, द्वितीय आ तृतीय स्थानक लेल चुनल जायत। अहि प्रतियोगितामे सं चुनल गेल चेहरा वैश्विक स्तर पर विश्व सुंदरी प्रतियोगितामे भारतक प्रतिनिधित्व करतीह। अपने कें बाता दी जे आद्या अहि सं पहिने साल 2015मे मिस झारखंड सेहो रहि चुकल छथि।
मिथिला मिरर कें दिस सं सेहो आद्या कें बहुत-बहुत बधाई आ संगहि समस्त मिथिलावासी सं आग्रह जे जौं वोटिंग बेर आवै त अपने लोकनि बेसी सं बेसी वोट कय आद्या कें विजय वनेबा मे सफल करी।
This is a great beginning jai Mithila all the best Adya n Bhavna