भारतीय मुद्रा पर मिथिलाक्षर सेहो भेटत, प्रधानमंत्री देलनि आरबीआई कें निर्देश

    0
    198

    दिल्ली-मिथिला मिररः मिथिला-मैथिलीक लेल आजूक दिन बहुत बेसी महत्वपूर्ण कहल जायत। मैथिलीकें संवैधानिक दर्जा प्राप्त भेना 12 बरख भय गेल छल मुदा एखनो धरि भारतीय मुद्रा पर मैथिली आ कि मिथिलाक्षर दृष्टिगोचर नहि होइत छल। मुदा सुभाष चौधरीक अभियानकें मंगलदिन भारतीय प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदीक स्वीकृति भेट गेल। सुभाष चौधरीक अभियान पर अमल करैत प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी वित्त मंत्रालय आ रिजर्ब बैंक आॅफ इंडिया अर्थात भारतीय रिजर्ब बैंक कें अहि दिशामे पहल करवाक निर्देश देहला।
    अपने कें बता दी कि सुभाष चौधरी पैछला तीन बरख सं अहि विषय कें लय मुहिम चलौने छलाह आ अंतोगत्वा आइ स्वीकृति भेटल। मिथिला मिररक संपादक सं विशेष बातचीत मे सुभाष चौधरी कहला जे इ विजय संपूर्ण मिथिला-मैथिलीक विजय थिक आ अहि जीतक लेल हम सर्वप्रथम भारतीय प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी आ भारतीय जनता पार्टी कें धन्यवाद कहब जे एक बेर फेर सं ओ मैथिलीक हित मे एतेक पैघ निर्णय लेलाह।
    अपने कें बता दी जे मैथिलीक अलावे अन्य संवैधानिक भाषाक लेल सेहो इ गर्वक दिनक थिक जेकरा संविधानमे मैथिलीक संग-संग जगह भेटल छल, ओहो भाषाक जगह सेहो भारतीय मुद्रा पर छापल जायत। सुभाष चौधरी सहित हुनक समस्त सहयोगी कें अहि ऐतिहासिक कार्य करेवाक लेल मिथिला मिरर टीम कें दिस सं हार्दिक बधाई आ शुभकामना।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here