नाबालिग सं दुष्कर्मक आरोपी विधायक राजबल्लभ केलक कोर्ट मे समर्पन

    0
    251

    दिल्ली-मिथिला मिररः नाबालिग सं दुष्कर्मक आरोपी आ नवादा सं विधायक राजबल्लभ यादव बृहस्पतिदिन बिहार शरीफ कोर्ट मे आत्म समर्पण कय देलक। अदालत मे समर्पण केलाह बाद आरोपी विधायक कें अदालत द्वारा 14 दिनक न्यायिक हिरासत मे भेल देल गेल। विधायक द्वारा समर्पण केलाक बाद बिहार मे एक बेर फेर सं अहि मुद्दा पर राजनीति तेज भय गेल अछि। बिहार पूर्व उपमुख्यमंत्री आ भाजपाक वरिष्ठ नेता सुशील मोदी अहि पर वर्तमान सरकार कें निशाना साधैत कहला जे राजबल्लभ समर्पण नीतीश कुमार हाइर आ लालू यादवक जीत थिक।

    ओम्हर सरकारक बचाव करैत पूर्व मंत्री श्याम रजक कहला जे सुशासनक मतलब नीतीश कुमार अछि अहि, इहै कारण अछि जे पुलिसक दबिशक कारण ओ आत्म समर्पण करवा लेल विवश भेल अछि। दोसर दिस नीतीश सरकारक एकटा आओर मंत्री विजेन्द्र यादव भाजपा पर निशाना साधैत कहला जे सदन मे भाजपाक नेता जाति देखि विरोध करैत अछि। हालांकि अहि विषय पर बिहारक उपमुख्यमंत्री सहित आरजेडीक कोनो वरिष्ठ नेताक दिस सं कोनो टिप्पणी नहि कैल गेल अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here