अंतरराष्ट्रीय महिला दिवस पर मोटर साइकिल सं संसद पहुंचलीह सांसद-रंजीत रंजन

    0
    403

    दिल्ली,मिथिला मिरर-जुली रानी झाः सुपौल सं कांग्रेसक सांसद आ मधेपुरा सं सांसद पप्पू यादवक पत्नी रंजीत रंजन मंगलदिन अंतरराष्ट्रीय महिला दिवसक अवसर पर मोटर साइकिल (हार्ले डेविडसन) सं संसद पहुंची सब के चैका देलीह। संसद परिसर मे जखन रंजीत रंजन के भारी-भरकम बाइक चलावैत देखि समस्त पत्रकारक कैमरा रंजीत रंजन दिस फोकस भय गेल।

    मीडिया जखन उत्सुकतावस रंजीत रंजन सं अहि विषय मे पुछलक त ओ कहली जे इ हमरा लेल कोनो नव बात नहि अछि। हम बहुत दिन सं सोचैत रहि जे मोटर साइकिल आ कि साइकिल सं संसद पहुंचल जाय, मुदा सदिखन मोन मे किछु ने किछु संकोच रहैत छल। लेकिन आई अंतरराष्ट्रीय महिला दिवसक अवसर पर मोन केलक जे बाइक सं संसद पहुंचल जाइ आ हम आबि गेलौह।

    पत्रकारक सवाल के जवाब दैत सांसद कहली जे हम लगभग पचास गोट महिला बेसी काल बाइक सं राइड करैत छी आ अहि मे कोनो नव बात नहि छैक। हां, जौं अहां सब एकरा हौआ बना दी त इ एकटा अलग बात। अपने कें बता दी जे रंजीत रंजन बिहारक मिथिला क्षेत्रक सुपौल सं सांसद छथि आ चुनाव जीतलाक बाद मैथिली भाषामे शपथ सेहो लेने छलीह।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here