राजधानी दिल्लीक सड़क पर शांतिपूर्ण पागमार्च सं हत्तप्रभ रहल लोक

    1
    360

    दिल्ली-मिथिला मिररः राष्ट्रीय राजधानी दिल्ली क्षेत्रक आईटीओ स्थित राजेन्द्र भवन सं आईटीओ कें रामचरण अग्रवाला चैक तक निकालल गेल पाग मार्चक स्वरूप जतेक वर्णन कैल जाय ओ कम छैक। मिथिलालोक आ डाॅ. बीरबल झाकें अगुआई मे रविदिन अर्थात 28 फरवरी कऽ दिल्ली सं पाग बचाउ अभियानक विधिवत शुरूआत कैल गेल।

    कार्यक्रम शुरूआत कें बाद सभागार मे उपस्थित समस्त दर्शकगण कें मंच पर बजा हुनका मिथिलालोकक नव स्वरूपक पाग पहिरा स्वागत कैल गेलनि आ ओहिकें बाद करीब 4-5 सौ कें संख्यामे रहल समस्त मैथिलजन जाहिमे पुरूष, स्त्री, बच्चा एक रंग पाग पहिर जखन दिल्लीक सड़क पर निकललाह त बुझू जे दिल्ली मिथिलाक घर-आंगन सन लागि रहल छल।
    जा धरि मैथिलजन पागमार्च पूरा नहि केलाह ता धरि सड़कक काते-काते आम जनमानसक जे भीड़ छल ओ क्षुब्द भय मैथिलजन कें निहारि रहल छल। मैथिलीक इतिहासमे शायद इ पहिल एहन आयोजन छल जाहिमे महिला पाग पहिर पुरूषक संग डेग-डेग मिला कय कदम ताल केलीह। सार्वजनिक रूपसं महिलाकें पाग पहिरायब जहिना संस्थाक लेल एकटा पैघ उपल्बधि छल तहिना एतेक व्यापक स्तर पर मैथिल एक संग पाग पहिर कतौ मार्च कय अपन संस्कृतिक संवर्धनक सेहो परिचय नहि देने छलाह।

    1 COMMENT

    1. Bhot nik dekh ka laeg rhal ae paag pahin ka delhi ke Sarak par Maithil. Jana laeg rhal ae ki chot Mithilanchal aab delhi Bni gel

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here