लोजपा कयलक उम्मीदवारक दोसर सूची जारी,’चकई’ सेहो शामिल

    0
    475

    दिल्ली,मिथिला मिरर-राहुल कुमार रायः- बिहार विधान सभा चुनाव 2015 के उम्मीदवारक घोषणा जारी अछि। सोमदिन राजग के अहम सहयोगी दल लोजपा अपन उम्मीदवारक दोसर सूची जारी कयलक। सांसद चिराग पासवान दोसर सूची मे 9 गोट सीट पर उम्मीदवारक सूची जारी करैत कहलनि जे‘ एखन हम 9 गोट सीटक सूची जारी कय रहल छी जाहिमे चकई सेहो शामिल अछि बांकी 19 टा सीटक घोषणा एहि बाद करब जाहिमें कुशेश्वरस्थान, गौराबौराम, सहित आओर अनेक सीट अछि जाहि पर चर्चा चलि रहल अछि। जे 9 गोट सीट सूची एहि प्रकारेण अछिः-
    कहलगांव- नीरज मंडल
    बेल्दौर  – मिथिलेश कुमार निषाद
    साहेबपुर कमल- मो. असलम
    वारिशनगर – चन्दे्रश्वर राय
    मोकामा- कन्हैया सिंह
    कुचायकोट – कपिल पांडेय
    सीट बंटवारा पर उपजल फसादक पर चिराग कहलनि जे ‘हमरालोकनि दू सीट पर दावेदारी केने रहि मुदा बीचक रास्ता यैह निकलल जे जमुई सीट मांझी के द देल जाय। जाजी के बगावात रवैया पर जबाब दैत कहलनि जे – इ हमर घरक मैमला अछि एहिपर सार्वजनिक टिप्पणी केनाइ औचित्य नहि बुझना जा रहल अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here