बिहार बीजेपी मे एक बेर फेर सं उपेक्षित होइत ब्राह्मण चेहरा

    0
    386

    दिल्ली-मिथिला मिररः बिहार विधानसभाक 243 गोट सीटक लेल चुनावक शंखनाद भऽ गेल अछि। एनडीए गठबंधनमे भाजपाक खाता मे 160 गोट सीट आयल। मिथिला क्षेत्रक 129 गोट सीट मे कम सं कम 80टा सं बेसी सीट पर बीजेपी चुनाव लडि़ रहल अछि मुदा विडंबना इ जे ब्राह्मण ओ बनियाक पार्टीक नाम सं देशक राजनीतिमे अपन अलग पहिचान बना चुकल बीजेपी अपन ओ समर्थित उम्मीदवार लगा मात्र 5 गोट ब्राह्मण चेहरा कें नेतृत्व करवाक अवसर देलक।
    हालांकि इ कोनो पहिल बेर नहि भेल आ कोनो नव आंकड़ा सेहो नहि अछि। अहि सं पैछला विधानसभा चुनावमे सेहो भाजपा संपूर्ण मिथिला क्षेत्र सं 5 गोट ब्राह्मण चेहरा कें टिकट योग्य बुझने छल आ अहु बेर ओहने किछु स्थिति रहल। पैछला विधानसभा मे बेनीपट्टी, विनोद नारायण झा, बेनीपुर-गोपालजी ठाकुर, सहरसा-आलोक रंजन झा, जाले-विजय मिश्र ओ भागलपुर-अश्विनी कुमार चैबे कें ब्राह्मणक चेहरा बनौने छल। अहि बेरक आंकड़ा मे आओरो बेसी परिर्वतन भय गेलैक। ब्राह्मणक चिर-परिचित जाले सीट पर जिवेश कुमार मिश्र (भूमिहार) चेहराकें उतारलक जखन कि ओहि क्षेत्र सं भारतीय जनता पार्टीक ब्राह्मण चेहराक रूपमे पूर्व जिला पार्षद ओ युवा ब्राह्मण चेहरा हेमंत झा’क दावेदारी मानल जाइत छल। अहिकें अलावे पार्टी जगन्नाथ मिश्रक पुत्र नीतीश मिश्र कें झंझारपुर सं अपना चुनाव चिन्ह पर लड़ा रहल अछि जखन कि नीतीश हिन्दुस्तानी अवाम मोर्चाक नेता छथि।
    वर्तमान विधानसभा मे पूर्व मुख्यमंत्री जगन्नाथ मिश्रक पुत्र ओ बिहारक पूर्व मंत्री नीतीश मिश्रकें पार्टी अपना चुनाव चिन्ह पर चुनाव लड़वा रहल अछि। अहिकें अलावे पार्टी भाजपाक वरिष्ठ नेता ओ सांसद एवं बिहारक पूर्व स्वास्थ मंत्री अश्विनी चैबे कें जेठ पुत्र अरिजीत शास्वत कें अपन उम्मीदवार बनौलक अछि। भागलपुर सीट पर अश्विनी चैबे पांच बेरक विधायक रहल छथि आ अश्विनी चैबेक सांसद बनलाक बाद उपचुनाव मे बीजेपी इ सीट हाइर गेल छल।
    अहिबेरक ब्राह्मण चेहरा
    बेनीपट्टी- विनोद नारायण झा
    बेनीपुर- गोपालजी ठाकुर
    सहरसा- आलोक रंजन
    झंझारपुर- नीतीश मिश्र
    भागलपुर- अरिजीत शास्वत
    आब अहिठाम एकटा प्रश्न उठैत अछि जे 129 गोट विधानसभा क्षेत्र मे ब्राह्मण उम्मीदवारक मात्र 5 गोट सीट बनैत अछि ? जाहि तरहक राजनीतिक सक्रियता ओ जनसंख्या अछि ओहि कें हिसाब सं कम सं कम 15 गोट सीट त बनवेटा करैत छैक मुदा बेर-बेर कथित रूप सं बिहारक राजनीति मे सुशील मोदी पर पार्टीक किछु कार्यकर्ता ओ राजनीतिक विश्लेषक सब प्रश्न चिन्ह लगवैत रहला अछि।
    अपन अंतिम समय मे पार्टी छोड़वा सं पूर्व मिथिला क्षेत्र सं पार्टीक कद्दावर नेता रहल पंडित ताराकांत झा सेहो अहि बातक आरोप लगौने छलाह।
    आखिर अहु चुनाव मे बीजेपी एकबेर फेर सं ब्राह्मण चेहरा कें समिति जगह तक राखि अहि बातक साफ-साफ संकेत दय देलक जे ब्राह्मण ओ बनियाक आधार पर बनल पार्टी बीजेपी मे ब्राह्मण चेहराक कोनो खास जगह नहि बांचल अछि आ ओहो मे खास कय बिहार मे त किछु कथित नेताक चक्कर मे ब्राह्मण अपन राजनीतिक अस्तित्व बचेवा मे अक्षम छैथ। मुदा बांकिक काज त मिथिला क्षेत्रक मतदाता कें करवाक छन्हि ओना कहि जे बीजेपी मे त किछु ब्राह्मण चेहरा भेटो गेल मुदा आन राजनीतिक दल सं ओहो उपेक्षा नहि मात्र कैल जा कसैत अछि।

     

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here