तेसर मोर्चाक गठनक बाद आओर दिलचस्प भेल विधानसभा चुनाव

    0
    364

    दिल्ली-मिथिला मिररः बिहार विधानसभा चुनावक रंग आब पूर्ण रंग मे रंगि गेल अछि। एनडीए, महागठबंधनक बाद आब तेसर मार्चा सेहो अपन धमाकेदार उपस्थिति बिहार विधानसभा चुनाव मे दर्ज करेवाक लेल पूर्ण रूप सं तैयार भय गेल। मुलायम सिंह यादवक अगुआई मे बनल तेसर मोर्चाक ऐलाक बाद आ बिहारक राजनीति मे पैघ लड़ाईक पूर्ण आसार बनि गेल अछि। बिहार 243 गोट सीट पर तेसर मोर्चा मे बनल सहमतिक बाद आ सब सं बेसी चुनौति महागठबंधनकें देखना जा रहलैक अछि। 
    समाजवादी पार्टी-85
    जन अधिकार मोर्चा-64
    राष्ट्रवादी कांग्रेस पार्टी-40
    समर्थ समाज पार्टी-28
    समाजवादी जनता दल-23
    एनपीपी-03 सीट पर चुनाव लड़त
    पटना मे आयोजित एकटा संयुक्त संवाददाता सम्मेलन मे सपा सांसद आओर बिहार प्रभारी किरणमय नंदा, जन अधिकार पार्टीक अध्यक्ष राजेश रंजन उर्फ पप्पू यादव, एनसीपीक सांसद ओ महासचिव तारिक अनवर, पूर्व सांसद रघुनाथ झा सहित अन्य नेता कार्यक्रम मे उपस्थित छलाह।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here