गया मे मनु महाराजक नेतृत्वमे पुलिस-नक्सलीक बीच मुठभेड़

    0
    389

    दिल्ली-मिथिला मिररः बिहार विधानसभा चुनाव मे संभावित नक्सली गड़बड़ी कें देखैत गया पुलिस प्रशासन नक्सली पर नकेल कसवाक लेल पूर्ण तैयारी मे अछि। गया कें पतेहपुर कें बसकटवाक जंगल मे पुलिस ओ नक्सलीक बीच मुठभेड़ चलि रहल अछि। सूत्रक मानी त मठभेड़मे सीआरपीएफ, एसटीएफ ओ बिहार पुलिसक संयुक्त टीम शामिल अछि। 
    गयाक वरिष्ठ पुलिस अधीक्षक मनु महाराजक नेतृत्व मे चलि रहल मुठभेड़ मे दुनू दिस सं गोलीबारीक खबैर अछि। अपने कें बता दी कि मनु महाराजक स्थानांतरण हालहि पटना सं गया भेल आ ओहि कें बाद सं मनु महाराज नक्सलीक लेल चुनौतिक रूप मे सामने आबि रहल छथि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here