लोजपाक संसदीय समितिक बैसार समाप्त,18क 29 गोट सीटक घोषणा

    0
    458

    दिल्ली,मिथिला मिरर-राहुल कुमार रायः बिहार विधानसभा चुनाव मे समस्त राजनीतिक दलक लेल टिकटक बखरा एकटा महत्वपूर्ण ओ झगड़ा रूप लेने जा रहल अछि। एहन मे आन राजनीतिक दल जेना एलजेपीक लेल सेहो सीटक बंटवारा सहज नहि देखना जा रहल अछि। पार्टी अहि विधानसभा चुनाव मे 40 गोट सीट पर चुनाव लडि़ रहल अछि एहन मे पार्टी अपन स्वभाविक पारिवारिक उम्मीदवारक सूची सेहो बहुत पैघ छैक।
    दिल्ली मे संपन्न पार्टीक संसदीय समितिक बैसार मे 29 गोट सीट पर उम्मीदवारक सहमति लगभग बनि गेल अछि। मिथिला मिरर कें सूत्र सं भेंटल जानकारीक मानी त शुक्रदिन अहि 29 गोट सीटक उम्मीदवारक घोषणा क देल जायत आ बांकिक सीट पर सेहो विचार विमर्श चलि रहल अछि। एक दिस पार्टी सीट बंटवारा मे व्यस्त आ माथ पच्ची मे लागल अछि त दोसर दिस वैशाली सं पार्टीक सांसद रामा किशोर सिंह अपना कनिया कें टिकट नहि भेटलाक कारणें पार्टी सं नाराज भय गेल छथि। खबैर त एहनो आबि रहल अछि कि रामाकिशोर सिंह लालू यादवक संग सेहो जा सकैत छथि।
    आब इ देखब दिलचस्प हैत कि बिहार विधानसभा चुनावक शुरूआत सं राजनीतिक पारा कोन तरहें आम मतदाता तक चढ़ैत अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here