पूर्व सांसद ओ हम नेता देवेंद्र यादवक पार्टी सं त्यागपत्र

    0
    432

    दिल्ली-मिथिला मिररः झंझारपुर लोकसभा संसदीय क्षेत्र सं 5 बेरक सांसद आ (हम) हिन्दुस्तानी अवाम मोर्चा कें कोर मेंबर मे एक देवेंद्र प्रसाद यादव पार्टी सं खिन्न भय त्यागपत्र दय देलाह। पूर्व सांसदक कहब छलनि जे एखन तक जे कोर ग्रुपक बैसार छल ओह मे हमरा बुलावा भेटैत छल मुदा जखन दिल्ली मे सीटक बंटवाराक अंतिम निर्णय लेल गेल ओहि समय हमरा नहि बजाओल गेल।
    अपने कें बता दी जे देवेंद्र प्रसाद यादव हिन्दुस्तानी अवाम मोर्चा कें बीजेपी द्वारा 20 सीट देल गेलाह सं अप्रसन्न छलाह आ हुनकर मानब छलनि जे कतौ ने कतौ पार्टी अपन विचारधारा सं समझौता कय रहल अछि आ एहन मे पार्टी मे बनल रहब ठीक नहि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here