मांझीक बेटा पर चुनाव आचार संहिता उल्लंघन कें आरोप

    0
    317

    दिल्ली,मिथिला मिरर-ब्रजेन्द्र नाथ झाः जहानाबाद मे (हम) यानि हिन्दुस्तानी आवाम मोर्चाक नेता और बिहार के पूर्व मुख्यमंत्री जीतन राम मांझीक बेटा प्रवीण मांझी पर चुनाव आचार संहिता उल्लंघन के मामला दर्ज कैल गेल। प्रवीण मांझीक गाड़ी सं जहानाबाद पुलिस 4 लाख 65 हजार टका बरामद केलक आ एहि आरोप में पुलिस प्रवीण मांझी के हिरासत में लय लेलक। ओना प्रवीण मांझी के एहि मामला पर कहब छन्हि जे ओ ई रूपया पटना में बनि रहल घरक वास्ते गया स पटना लै जा रहल छलाह।
     पार्टीक दोसर नेता वर्तमान सरकार पर साजिश के तहत पकड़बाक आरोप लगा रहल अछि। एमहर एहि मुद्दा पर जेडीयू के कहब छै जे दिल्ली में पिता बीजेपी सं ज्यादा स ज्यादा सीट मांगि रहल छथि, त एमहर बेटा नोट समेटबाक फिराक में छैथि। संगहि जेडीयू बीजेपी पर से हमला करैत कहलक जे बीजेपी लग खूब रुपया छैक जकर ई परिणाम अछि।
    हालांकि तमाम आरोप-प्रत्यारोपक बाद प्रवीण मांझी कें जहानावद पुलिस तखन हिरासत सं बाहर कय देलक जखन हुनका कोर्ट सं अहि मैमला मे जमानत भेंट गेलनि। रविदिन भोर मे शुरू भेल अहि मैमला कें सांझ होइत-होइत अंत भय गेल।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here