मांझी कहला भाई-भतीजावाद सं ग्रसित छथि पासवान

    0
    464

    दिल्ली-मिथिला मिररः हिन्दुस्तान अवामी मोर्चा ‘सेक्यूलर’ कें अध्यक्ष आ बिहार पूर्व मुख्यमंत्री जीतन राम मांझी अपन सहयोगी राजनीतिक दल लोक जनशक्ति पार्टीक राष्ट्रीय अध्यक्ष रामविलास पासवान पर जुबानी प्रहार करैत कहला जे रामविलास पासवान भाई-भतीजावाद सं ग्रस्त छथि। हुनकर पार्टीक समस्त पद पर भाई-भातिज बैसल छन्हि आ इहै कारण अछि जे ओहिठाम कोनो आन व्यक्तिक कोनो खास महत्व नहि छैक।
    मांझि कहला जे रामविलास पासवनक राजनीति कें बिहार दुसाध/पासवान समुदाय पूर्ण रूप सं बुझि चुकल अछि। पूर्व मुख्यमंत्री कहला जे भले जीतन राम मांझीक पार्टी पांच मास कें अछि मुदा कखनो काल कऽ चुट्टी सेहो हाथी पर भारी पडि़ जाइत छैक आ ओहि स्थिति मे हाथी लाचार बनि इमहर-ओमहर घुमय पड़ैत छैक। जीतन राम मांझीक बयान सं एक दिस एनडीए मे घमासान मचबाक साफ संकेत जा रहल अछि।
    ओमहर जीतन राम मांझीक अहि बयान पर रामविलास पासवान किछु बजवा सं साफ इंकार कय देलाह अछि। आब इ देखय पड़त जे बीच-बीच मे आगिक कुकरहैर जेना भुक दय बड़ैत पासवान-मांझीक विवाद सं आगामी चुनाव मे एनडीए कें कतेक फायदा हेकैत ओ त सयम बताओत मुदा विपक्षक लेल एकटा मुद्दा अवश्ये भेट गेल जाहि सं पासवान कें घेरल ज सकैत अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here