तारिक कहला अहंकारी छथि नीतीश, तेसर मोर्चाक देलनि संकेत

    0
    327

    दिल्ली-मिथिला मिररः राष्ट्रवादी कांग्रेस पार्टीक महासचिव ओ मिथिला/बिहारक कटिहार सं सांसद तारिक अनवर बिहारक मुख्यमंत्री ओ जेडीयूक सर्वेसर्वा नीतीश कुमार ओ आरजेडी अध्यक्ष लालू प्रसाद यादव कें अहंकारी करार देलनि अछि। तारिक अनवरक नाराजगी स्वभाविक छन्हि कारण महागठबंधनक घटक दल एनसीपी कें बिना कोनो सीट देेने ओ विश्वासमे लेने आरजेडी, जेडीयू ओ कांग्रेस अपना मे सीटक बंटवारा कय लेलक।
    अपन संसदीय क्षेत्र कटिहार पहुंचल तारिक अनवर कहला जे हम सब राष्ट्रवादी कम्यूनिष्ट पार्टीक संग संपर्क मे छी आ एकटा नव गठबंधन बना राज्यक समस्त सीट पर चुनाव लड़ब। राजेश रंजन उर्फ पप्पू यादवक संग संभावित गठबंधनक सवाल पर बाजैत तारिक कहला जे पप्पू कतौ ने कतौ बीजेपीक संग छथि ताहि लेल हुनका संग कोनो तरहक गठबंधनक सवाले नहि उठैत अछि।
    बिहार विधानसभा चुनाव सं पूर्व एक-एक कऽ गठबंधन सं पार्टीक अलग हैव आ पार्टीक भीतर ओ बाहर लालू ओ नीतीशक मंशाक उपर उठि रहल गंभीर सवाल अहि दुनू नेताक राजनीतिक स्वास्थ्य पर केहन असर छोड़त अेहिकें लेल अपने सब कें किछु दिन आओर प्रतीक्षा करय पड़त। ता धरि अपने सब बनल रहु मिथिला मिररक संग।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here