सुशासन बाबूक धमकी, हल्ला किया तो सड़क पर ला देंगे

    0
    265

    समस्तीपुर,मिथिला मिरर-सुजीत कुमार झाः बिहार मे राजनीतिक बोखार थर्मामीटर कें तोड़वाक लेल आतुर अछि आ एहन मे जौं स्वयं द्वारा उठाओल गेल एक-एक टा डेग जौं प्रतिकूल साबित हुअय लागैय त एहन मे केकर माथ नहि चकरायत। एहने किछु घटल बुधदिन मिथला/बिहारक समस्तीपुर मे जतय एकटा मुख्यमंत्री सुशासन बाबू अर्थात नीतीश कुमार एकटा कार्यक्रम कें संबोधित कय रहल छलाह। मुख्यमंत्रीक रैली मे सांख्यिकी सेवकक द्वारा स्थाई नौकरी मांग कैल जा रहल छल।
    इ मांग मुख्यमंत्री कें एतेक बेसी आहत केलकनि जे ओ अपन आगि बबूला होइत प्रदर्शन कय रहल सांख्यिकी सेवक कें मंच सं धमका देलनि। बकौल नीतीश कुमार ‘ई क्या है जी, मांग पूराी करो, मांग पूरी करो। चुपचाप ठंढ़ा होकर सुनो। हल्ला किया तो सड़क पर ला दूंगा। तुम लोगों के पैनल को डिजाॅल्व करने का चिट्ठी आया था। हम साइन नहीं किए हैं, अगर हल्ला करोगे तो जाकर साइन कर देंगे।’
    बुधदिन समस्तीपुर मे मुख्यमंत्री पाॅलिटेक्न्कि काॅलजेक उद्घाटन करवाक लेल पहुंचल छलाह। जखन मुख्यमंत्री कार्यक्रम कें संबोधन करय लगलाह त सांख्यिकी सेवक सब अपन बकाया वेतन ओ नौकरी पक्कीकरणक लेल अवाज बुलंद कय देलक जाहि सं मुख्यमंत्री एतेक बेसी खिन्न भेलाह जे ओ प्रदर्शन कय रहल व्यक्ति कें सरेआम नौकरी सं निकालवाक धमकी तक द देलाह। ओहि कें बाद मुख्यमंत्री देशक प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी कें सेहो जमि कय निशाना बनौलनि। 
    मुख्यमंत्री जी इ चुनावी मौसम थिक आ ओहिनाहुं अहांक राहु ओ केतुक संग शनि महाराज डिबिया लय खोजि रहला अछि एहन मे जौं अहां दोसर कें जमीन पर अनवाक धमकी देवैय त कहुं एहने ने भय जाइ कि अहां खुदे जमीन पर आबि कतौ कें नहि रही।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here