मिथिला क्षेत्रक संपूर्ण विधायकक आपराधिक ओ आर्थिक लेखाजोखा

    0
    398

    दिल्ली-मिथिला मिररः बिहार विधानसभा कें देखैत मिथिला मिरर अपने सबहक लेल एकटा विशेष खबैर लय सामने आबि रहल अछि। अहि दैनिक रिपोर्ट मे अपने सब मिथिला क्षेत्रक ओहि समस्त विधायक कें आर्थिक ओ आपराधिक चरित्र पर मिथिला मिरर विशेष कवरेज करय जा रहल अछि। अपन रिपोर्ट मे मिथिला मिरर’क टीम पैछला 2010 कें विधानसभा चुनाव आ ओहिकें बाद भेल बिहार विधानसभाक उपचुनाव कें आधार बना ओहि मे प्रत्याशी द्वारा चुनाव आयोग लग जे शपथ पत्र जाम कैल गेल अछि ओहि कें हिसाब सं रिपोर्ट अपने लोकनिक लग लऽ कऽ आाओत।
    पहिल चरण मे अपने लोकन्हि कें इ पता चलत जे अहांक जनप्रतिनिधिक व्यक्तित्व केहेन छलन्हि आ पैछला चुनाव मे हुनका लग कतेक संपत्ति रहैन आ ओहिकें बाद फेर मिथिला मिरर चुनाव अधिसूचना जारी भेलाक बाद चुनावक लेल विभिन्न प्रत्याशी द्वारा कैल गेल नामांकन कें आधार बना एक बेर फेर सं अहि रिपोर्ट कें लय अपने लोकनिक लग आओत आ ओहिकें बाद मिथिला मिरर उक्त प्रत्याशीक राजनीतिक जीवन मे कैल गेल प्रत्यक्ष ओ कथित रूप लागल आपराधिक ओ अन्य तरहक आरोप आ पांच साल मे हुनकर कमाई सं सेहो अपने लोकन्हि कें अवगत कराओत।
    त अपने सब मिथिला मिररक अहि विशेष आ एकटा अलग तरहक रिपोर्ट कें पढ़वाक लेल पूर्ण रूप सं तैयार रहु आ जौं अहां कें कोनो समस्या ओ कि अहां सब अपन जनप्रतिनिधि द्वारा पांच सालक कार्यकाल सं संतुष्ट नहि छी त ओहो मिथिला मिरर लग निधोख भय राखु। हम अपने के विश्वास दिया रहल छी जे अहां देल गेल सुझाव ओ विचार कें विशेष रूप सं मिथिला मिरर मे जगह देल जायत। जरूरत पड़त त अहां सबहक पहिचान कें सेहो सार्वजनिक नहि कैल जायत।
    ता धरि बनल रहु आ पढ़ैत रहु मिथिल मिरर। हां अगर कोनो संवाद आ जानकारी मिथिला मिरर तक पहुंचाबय चाहैत छी त हमर वाॅट्सअप नंबर-+91-9560295811 पर संपर्क करू अथवा हमरा ई-मेल करू। mithilamirror@gmail.com

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here