मुजफ्फरपुर कें चक्कर मैदान मे जमि कऽ गरजलाह प्रधानमंत्री मोदी

    0
    347

    मुजफ्फरपुर,मिथिला मिरर-सुजीत कुमार झाः प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी मुजफ्फरपुर कें चक्कर मैदान मे एनडीएक परिर्वतन रैलीक शुभारंभ करैत जमि कऽ बिहारक वर्तमान आओर पूर्व मुख्यमंत्री पर बरसलाह। रैली कें संबोधित करैत प्रधानमंत्री कहला जे हम जखन ट्वीट करैत छलौह त अहिठामक एकटा नेता हमर मखौल उड़ावैत छलाह मुदा आइ हुनको ओहिकें चसका लागि गेलनि अछि। आइ जखन हम बिहार ऐलौह त ओहो ट्वीट केलाह आ ट्वीट मे कहला जे 14 महिला बाद हमरा बिहारक याद आयल।
    अहि सं पहिने जे प्रधानमंत्री छलाह ओ दस साल मे एक बेर बिहारक हवाई दौरा केने रहैथ मुदा हम 14 महिनाक बाद अहिठाम एलौह हुनका दर्द भय रहल छन्हि। नीतीश पर तंज कसैत प्रधानमंत्री कहला जे जिनका 14 महिनामे एतेक दर्द भेल भ रहल छन्हि त ओ व्यक्ति एक-एक दिन मे हमरा सबहक लेल कतेक दर्द सहने हेताह। ओ कहैत छलाह जे बिहारक लेल एकेटा मोदी काफी अछि आ अहिठाम दोसर मोदीक कोनो जरूरत नहि छैक। अहां अहिठाम नहि आउ, मुदा आई ओ व्यक्ति ओहि व्यक्ति सं मिली गेलाह जे बिहारकें पंद्रह बरख धरि जंगल राज तौहफा मे देलाह।
    लालू प्रसाद यादव पर जुबानी हमला करैत मोदी कहला जे द्वारकाधीस गुजरात मे छैक आ हमस ब कृष्ण कें अनुयायी छी। हम सब बच्चे सं इ सुनैत ऐलौह जे कृष्ण कालादह मे जा नागकें नथने छलाह मुदा अहिठामक यदुवंशी लोकनि अपन किछु स्वार्थक लेल जहर पीवाक बात कहि लोक कें दिगभ्रमित क रहल छैथ। दुःखक बात इ जे बिहारमे विकास बात नहि भय रहल अछि, अहिठाम उद्योग घंघा कोना शुरू कैल जायत अहि पर बात नहि भ रहल अछि। बिहारमे बिजली व्यवस्था कोना ठीक हैत अहि पर कोनो बात नहि भय रहल अछि। मुदा अहिठाम बात भय रहल अछि जे के सांप अछि के चंदन अछि। के जहर पीलक आओर के छोट-पैघ अछि। अहां सब अपना मे तय क लिय जे के जहर पीत मुदा अहिठामक जनता कें इ जहर नहि पिआउ।
    नीतीश बिहारक जनता सं वादा केने रहैथ जे हम 2015तक बिजली नहि देव त वोट मांगैय लेल नहि आयब। कि बिजली आबि गेलै बिहार मे? मुदा ओ वोट मंगवाक लेल आबि रहल छैथ, आब इ अहां लोकन्हि तय करू जे अहां लोकनिक संग जे धोखाधड़ी क रहल अछि। बिहारक लग सिर्फ बिहारक नहि अपितु पूरा देशक तस्वीर बदलवाक क्षमता अछि। हम एक बेर फेर सं अहां लोकनिक सोंझा ऐलौह आ जौं एक बेर फेर अहां सब हमरा पर विश्वास देखायब त हम निश्चित रूपहिं अहांकें नव बिहार तौहफा मे देब।
    प्रधानमंत्री कहलनि जे जौं हमरा संग नीतीश कुमार अपमान जनक व्यवहार केलनि त कोनो बात नहि मुदा इ अपमान जीतन राम मांझी, जाॅर्ज फार्नांडिश, सुशील मोदी सहित कतेको लोकक संग भेल अछि। आब इ अहां सब तय करू जे इ व्यक्ति कि अहां सबहक संग न्याय क सकैत छैथ। तहिना प्रधानमंत्री आरजेडीक एकटा नव नाम ‘रोजाना जंगल राजक डर’ दैत लोककें कहला जे अहां लोकनि कें अहि राज सं मुक्ति भेटवाक चाहि। प्रधानमंत्री रैलीमे विभिन्न तरहक विकासक बात करैत लोक सं अहि बेरक चुनाव मे बीजेपी संचालित एनडीएक पक्षमे वोट देवाक आह्वान केलाह।
    प्रधानमंत्री कहला जे हम बिहार कें एहन बिहार बनावय चाहैत छी जे बिहार अपना आप मे आत्मनिर्भर देखाय। हम इ चाहैत छी बिहार सेहो ओहने दिन देखय जाहिमे बिहारक युवाकें नौकरी करवाक लेल कोनो दोसर राज्य नहि जाय पड़य। अहि बातक संग-संग प्रधानमंत्री पटना मे कैल गेल उद्घाटन आओर शिलान्यासक जिक्र सेहो केलाह। प्रधानमंत्री कहला जे बिहार जाहि तरहें हमरा लोक सभा चुनाव मे अपन प्रेम देने छल ओहने प्रेमक अपेक्षा विधान सभा चुनाव मे सेहो राखैत छी। बिहार कें जे हम 50 हजार करोड़ टका देबाक जे हम वादा केने रही ओ आब 50 हजार करोड़ नहि बल्कि हम आब बिहारक लेल ओहि सं पैघ पैकेजक घोषना करब।
    प्रधानमंत्रीक संग मंच पर केंद्रीय मंत्री राधा मोहन सिंह, रामविलास पासवान, रविशंकर प्रसाद, गिरिराज सिंह, धमेंद्र प्रधान, राजीव प्रताप रूड़ी, रामकृपाल यादव, उपेंद्र कुशवाह, पूर्व मुख्यमंत्री जीतन राम मांझी, सुशील मोदी, नंद किशोर यादव, वरिष्ठ नेता डाॅ. सीपी ठाकुर सहित अन्य नेता लोकनि उपस्थित छलाह।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here