जिलाध्यक्ष राजीव कुशवाहाकें अध्यक्षतामे रालोसपा’क बैसक

    0
    55

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: बुधदिन राष्ट्रीय लोक समता पार्टी’क जिलाध्यक्ष राजीव कुशवाहा’क अध्यक्षतामे एकटा बैसकक आयोजन कएल गेल। जाहिमे बतौर मुख्य अतिथि युवा प्रदेश अध्यक्ष हिमांशु पटेल पटनामे अशोक सम्राटक जयंतीकें अवसर पर सैकड़ोक संख्यामे कार्यकर्ताकें भाग लेबाक लेल कहलनि।

    मौका पर पार्टीकें मजबूती प्रदान करबाक लेल मनोज कुमार सिंहकें युवा प्रदेशक महासचिव मनोनीत कएल गेल। संगहि तंजीम आलमकें युवा जिलाध्यक्ष’क कमान देल गेल। मौका पर लक्ष्मी पासवान, उज्जवल, गणेश सिंह, पंकज पासवान आदि मौजूद छलाह।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here