समस्तीपुरमे बिहार दिवस’क तैयारी जोर पर, विधानसभा अध्यक्ष करताह उद्घाटन

    0
    67

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: बिहार दिवसकें लए पूरा प्रशासनिक महकमा तैयारीमे जुटल अछि। एहिकेँ भव्य एवं आकर्षक आयोजनक मॉनीटरिग जिलाधिकारी प्रणव कुमार कय रहल छथि। हुनका द्वारा तैयारीमे जुटल अधिकारीकें लगातार आदेश-निर्देश देल जा रहल अछि। मुख्य कार्यक्रम स्थल पटेल मैदानमे मंच आदि बनबाक गति तेज भए गेल अछि।

    अहि अवसर पर पटेल मैदानमे चित्रकला, मेंहदी एवं रंगोली प्रतियोगिताक आयोजन सेहो कएल जाएत। सांस्कृतिक कार्यक्रमके स्कूली बच्चाक सेहो स्क्रीनिंग कएल गेल अछि। सांस्कृतिक कार्यक्रममे सरकारी एवं निजी विद्यालयके छात्र-छात्रा भाग लेताह। चित्रकला, मेंहदी एवं रंगोली प्रतियोगितामे भाग लेबय वला इच्छुक प्रतिभागी अपन निबंधन जिला सूचना एवं जन-सम्पर्क पदाधिकारीके कार्यालय सूचना भवनमे करा रहल अछि।

    बिहार दिवस कार्यक्रम’क उद्घाटन स्थानीय पटेल मैदानमे पूर्वाह्न 10:30 बजे विधानसभाक अध्यक्ष विजय कुमार चौधरी करताह। कार्यक्रममे प्रभारी मंत्री कुमार मंजू वर्मा, सांसद महेश्वर हजारी, सहकारिता मंत्री आलोक कुमार मेहता, भूमि सुधार एवं राजस्व मंत्री डॉ. मदन मोहन झा, राज्य सभा सांसद रामनाथ ठाकुर, सांसद रामचंद्र पासवान, चौधरी महबूब अली कैसर, नित्यानंद राय, विधायक डॉ. अशोक कुमार, रामबालक सिंह, राज कुमार राय, अख्तरूल इस्लाम शाहीन, अशोक कुमार, विद्यासागर सिंह, निषाद, एज्या यादव, विधान पार्षद हरिनारायण चौधरी, राणा गंगेश्वर प्रसाद सिंह, मो. कमरे आलम, दिलीप कुमार चौधरी आ जिप अध्यक्ष प्रेम लता भाग लेताह।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here