समस्तीपुरमे निक काजक लेल 80 गोट पुलिस मित्र पुरस्कृत

    0
    46

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: समस्तीपुरकेँ मुफस्सिल थानामे शनिदिन पुलिस मित्रक काजकें अधिक बेहतर बनेबाक लेल कार्यक्रमक आयोजन कएल गेल। जकर अध्यक्षता मुफस्सिल थानाध्यक्ष कुमार कृति केलनि। अहि दौरान थाना क्षेत्र अंतर्गत कार्यरत पुलिस मित्रके बेहतर काजक लेल पुरस्कृत कएल गेल। जाहिमे 80 टा पुलिस मित्रकें प्रशस्ति पत्र दय सम्मानित कएल;कएल गेल। अहि सं पूर्व पुलिस मित्रके संग एकटा बैसक कएल गेल। बैसककें संबोधित करैत थानाध्यक्ष क्षेत्रमे क्राइम कंट्रोलमे सहयोगक अपील केलनि।

    ओ शराबबंदी पर विशेष जोर दैत एकरा पूर्ण रूपे बंद करबामे तत्परता देखेबाक बात कहलनि। अहिकें उपरांत होली समारोहक आयोजन कएल गेल। जाहिमे एक दोसरकेँ गुलाल लगाकय बधाई देल गेल। मौका पर सब इंस्पेक्टर सत्येंद्र सिंह, नागेंद्र सिंह, खुर्शीद आलम, सरयुग मिस्त्री आदि पुलिस पदाधिकारी उपस्थित छल।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here