भवनक अभावमे दुआरि पर पढ़बाक लेल बेबस अछि गोढैल विद्यालयकें छात्र

    0
    33

    दरभंगा, मिथिला मिरर-फखरे आलम: घनश्यामपुर प्रखंड अंतर्गत तुमौल पंचायतक उत्क्रमित मध्य विद्यालय गोढैलमे एखनहु बच्चा सब नीचांमे बरामदा पर बैस कय पढ़बाक लेल मजबूर अछि। वर्ग आठ धरि संचालित होय वला अहि स्कूलमे छात्र छात्राक कुल संख्या 588 व कुल शिक्षकक संख्या 13 अछि। बावजूद एतय मात्र दू टा कमरामे वर्ग संचालित होइत अछि। जगह के अभावके कारण बरामदा पर पन्नी कागज बिछाकय बैसबाक लेल बच्चा मजबूर अछि।

    विद्यालय के प्रधानाध्यापक अब्दुल जब्बार कहलनि जे, स्कूलमे भवनक अभावके कारण हम कोनो तरहे  बच्चाकेँ पढ़ाबैत छी। दू टा भवन पूरा क्षतिग्रस्त भय चुकल अछि। ओहि भवनमे बच्चा के पढ़ेबाक ख़तरा अछि। पहिनेके प्रधानाध्यापक द्वारा भवन कार्य करवाओल जा रहल छल, मुदा हुनकर बदली भेलाक बाद भवन निर्माण कार्य रुकि गेल। जाहि सं पठन पाठनमे काफी परेशानी होईत अछि।

    ओ कहलनि जे, जल्दी सं भवन निर्माण कार्य पूर्ण होइ जाहि सं आसानी सं बच्चाकें शिक्षा देल जा सकय। संगहि एतय के रसोइया प्रमिला देवी, राप्तिलाल कामत, ललिया देवी, अनीता देवी, मीरा देवी कें पिछ्ला एक साल सं वेतन नहि भेटल अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here