मृत पिताक 85 हजारक कर्ज कोना चुकाओत 10 सालक मासूम

    0
    66

    बेगूसराय, मिथिला मिरर: न्यायालय के आदेश दस सालक मासूम बच्चाक लेल भारी पड़ि रहल अछि। न्यायालयक आदेश पाबिकय बच्चा 700 रुपैया चंदा मांगिकय एकट्ठा केलक आ पिताक कर्ज चुकेबाक लेल व्यवहार न्यायालय पहुंचि गेल। घटना बेगूसराय के छौडाही प्रखंडक बधौल बैरपुरा गामक अछि। जतय, एकटा मासूम अप्पन स्वर्गीय पिताक कर्ज चुकेबाक लेल व्यवहार न्यायालय पहुंचल छल। बैंक द्वारा पिताक 85 हजारक कर्ज चुकेबाक लेल नोटिस पठाओल गेल छल। जाहि के एवज मे बच्चा धर्मराज कुमार 700 रुपैया चंदा मांगिकय जमा केलक आ न्यायालय मे देबाक लेल पहुंच गेल।

    व्यवहार न्यालय मे शनिदिन आयोजित राष्ट्रीय लोक अदालत मे सैकड़ो लोक अप्पन बकाया कर्ज चुकेबाक लेल पहुंचल छल। अहि भीड़ मे एकटा मासूम बच्चा सेहो शामिल छल, जकर कचहरी स दूर-दूर धरि वास्ता नहि छल। मुदा ग्रामीण बैंक दिस सं जारी नोटिसक बाद ओ पहिल बेर न्यायालय आयल छल।

    धर्मराज कुमारक पिता शंकर पासवान बैंक स कारोबारक लेल 25 हजारक कर्ज लेने छल, मुदा कारोबार सं पहिने धर्मराजक मां आ बाप दुनिया स चलि गेल। अहि सिलसिला मे बैंक शंकर पासवानक नाम स राष्ट्रीय लोक अदालत मे बकाया कर्जक भुगतान के लेल नोटिस पठउने छल। अहि के बाद मजबूर बच्चा गाम सं चंदा मांगिकय 700 रुपैया अदालत मे लय कय आयल छल।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here