मुजफ्फरपुर मे ट्रांसफॉर्मर’क लेल उपभोक्ता केलक प्रदर्शन

    0
    52

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: लगातार ट्रांसफॉर्मर मे गड़बड़ी रहला सं परेशान चंदवारा महाराजा पैलेसक उपभोक्ता मंगलदिन प्रदर्शन केलनि। उपभोक्ता एस्सेल के खिलाफ जमिकय नारेबाजी केलनि। उपभोक्ताक कहब छल जे, बेर-बेर सूचना देबाक बावजूद कंपनी ट्रांसफॉर्मर बदलबा मे रुचि नहि लय रहल अछि।

    उपभोक्ताक कहब अछि जे, बिजली, पानिक लेल लोक तरसि रहल अछि। एस्सेल यदि मांग पर विचार नहि करैत अछि त लोक विरोध प्रदर्शन करैत रहत। मौका पर अजय कुमार सिंह, राजेश चौधरी, विनय कुमार, सादाव अनवर, राजेन्द्र चौधरी, दीपक वर्मा, विक्की कुमार, केदार ठाकुर, रंजीत ठाकुर, मो. मंसूर, अशफाक अहमद आदि उपस्थित छलाह।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here