सड़क मरम्मत के मांग लय समस्तीपुर-रोसड़ा सड़क जाम

    0
    71

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: समस्तीपुर-रोसड़ा पथ के अंगार सं मुरियारो गाम जाय वला सड़कक जर्जर हालत के ठीक करबाक मांग के लय ग्रामीण सब रविदिन मुरियारो महादलित टोल स्थित सामुदायिक भवन के समीप सड़क के जाम कय अप्पन नाराजगी व्यक्त केलनि।

    अहि बाबत स्थानीय लोक कहलनि जे, प्रधानमंत्री सड़क योजना के तहत लगभग 3 किलोमीटरक अहि सड़कक निर्माण वर्ष 2012 मे कराओल गेल छल। जकर अनुरक्षण खर्च 12 लाख योजना के बोर्ड पर अंकित अछि। परन्तु अहि के अवधि जून 2017 मे समाप्त होय वला अछि। ओतहि सड़क पूर्ण तरहे ध्वस्त भय गेलाक बावजूद मरम्मत नहि कराओल गेल। करीब दू घंटा तक लोक सड़क यातायात के बाधित केलनि। बाद मे स्थानीय बुद्धिजीवीक पहल पर लोक जिलाधिकारी के आवेदन देबाक फैसला लैत जाम हटा देलनि।

    मौका पर मनोज सिंह, तेजप्रताप सिंह, जितेन्द्र सिंह, मंजित सिंह, भुनेश्वर राम, सुरेन्द्र पासवान, गीता देवी, रामवृक्ष राम आदि जाम मे शामिल छल।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here