सड़क हादसा मे बच्चा सहित दू गोटेक मौत

    0
    47

    दरभंगा, मिथिला मिरर: सदर थाना क्षेत्र मे बृहस्पति दिन अलग-अलग भेल सड़क हादसा मे दू गोटेक मौत भय गेल। घटनाक लय स्थानीय लोक सड़क जाम कय प्रशासन के खिलाफ जमिकय नारेबाजी केलक। बेला-सकरी पथ व दोनार-बेनीपुर पथ जाम रहलाक कारने लोक के काफी परेशानीक सामना करय पड़ल।

    जाम हटेबाक लेल प्रशासन आक्रोशित लोक के काफी समझेबाक प्रयास केलनि। मुदा, कियो बात मानबाक लेल तैयार नहि छल। बताओल जा रहल अछि जे, बेला-सकरी पथ स्थित सारामोहनपुर पुल के समीप कोनो अज्ञात वाहन 20 वर्षीय एकटा साइकिल सवार के कुचलि कय चलि गेल। मृतक क्रांति कामत विश्वविद्यालय थाना क्षेत्रक राज कैंपस निवासी स्व. श्यामल कामतक पुत्र बताओल जा रहल अछि।

    मृतक साइकिल स गौसाघाट जा रहल छल अहि दौरान ओ अज्ञात वाहनक चपेट मे आबि गेल। घटनाक सूचना के बाद बीडीओ गंगासागर सिंह, थानाध्यक्ष शिवमुनी प्रसाद दल-बलक संग पहुंचकय आक्रोशित के बुझेबाक कोशिश केलनि, मुदा सब मुआवजाक मांग पर अड़ल छल।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here