सड़क निर्माण शुरू भेला सं स्थानीय लोक आक्रोशित

    0
    69

    सीतामढ़ी, मिथिला मिरर: प्रखंड के टंडसपुर मे बस पड़ावक लेल बाइपास सड़क निर्माण प्रारंभ होईते स्थानीय लोकक तामस फुटि पड़ल। मौका पर उपस्थित सीओ शिवशंकर राय के महिलाक तामस झेलय पड़ल। सूचना पर थानाध्यक्ष संतोष शर्मा दल बलक संग पहुंच कय आक्रोशित के समझाबय मे घंटो मशक्कत केलनि। हंगामा के लय जेसीबी मशीन के बंद करय पड़ल।

    स्थानीय लोकक कहब छल जे, हमरा सबहक वास के जमीन उपलब्ध कराने बिना काज शुरू कायल गेल अछि। ओतहि ग्रामीण देवेन्द्र राय, विश्वनाथ पासवान, नंदू साह, साधुशरण साह, बजरंगी ठाकुर, राम प्रवेश सिंह, रामबाबु सिंह आदि लोक कहलनि जे, बाइपास सड़क मे जमीन पड़लाक एवज मे सीओ द्वारा रसीद भेटलाक बावजूद जिला भू-अर्जन कार्यालय कर्मी द्वारा जमीनक मुआवजा भुगतान करबाक एवज मे नजराना मांगल जा रहल अछि। बहुतो बेर कार्यालय के चक्कर लागेलाक बादो भुगतान नहि कायल गेल, जाहि सं लोक तमसायल अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here