समस्तीपुर मे मांगक समर्थन मे जुलूस निकालल गेल

    0
    27

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: खेतिहर मजदूर यूनियन 10 सूत्री मांगक समर्थन मे एकटा जुलूस निकाललक अछि। जाहि मे शामिल भय दर्जनो लोक नारा लगबैत जितवारपुर स्थित प्रखंड कार्यालय पहुंचल। मांगक समर्थन मे लोक सरकार सं नकदी सब्सिडी के वापस लेबा, प्रति व्यक्ति 35 किलो अनाज 2 रुपैये के हिसाब स देनाय, प्रधानमंत्री आवास योजना मे धांधली बंद करबाक तथा सब वृद्ध के वृद्धा पेंशन मुहैया करेबाक मांग केलक।

    अहि बीच जुलूस मे शामिल लोक द्वारा प्रदर्शन स्थल पर सभा आयोजित सेहो कायल गेल। जाहि मे वक्ता सब केंद्र व राज्य सरकारक नीति के आलोचना करैत संघर्ष के आगू बढेबाक निर्णय लेलनि। सभाक अध्यक्षता कामरेड अयूब केलनि।

    मौका पर कमिटिक जिलाध्यक्ष रामसागर पासवान, जिला मंत्री रामाश्रय महतो, ललन कुमार, तिलक सहनी, सत्यनारायण सिंह, रघुनाथ सिंह, पार्वती देवी, वैद्यनाथ राय, जगदीश दास आदि लोक मौजूद छलाह।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here