फेर मोन पारल गेलाह ललित बाबू आ नीलाम्बर चौधरी

    0
    35

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: बिहारक पूर्व विधान परिषद् सदस्य स्व. नीलाम्बर चौधरी’क 83’म जयंती आ भारत सरकार के पूर्व रेल मंत्री स्व. ललित नारायण मिश्रा’क 42’म पुण्यतिथिक अवसर पर मंगलदिन बलभद्रपुर स्थित जिला कांग्रेस कार्यालय मे कांग्रेसजन जिला उपाध्यक्ष रामपुकार चौधरीक नेतृत्व मे दूनू महापुरुषक चित्र पर माल्यार्पण कय श्रद्धांजलि अर्पित केलनि।

    इस अवसर पर एकटा संगोष्ठीक आयोजन कायल गेल। गोष्ठी के संबोधित करैत चौधरी दूनू महापुरुषक जीवन पर प्रकाश देलनि। जिला प्रवक्ता मो. असलम कहलनि जे, स्व. नीलाम्बर बाबू आ ललित बाबू काँग्रेसक धरोहर छलाह। ई महापुरुष अप्पन-अप्पन कार्यकाल मे बिहार तथा मिथिलाक विकास मे अहम भूमिका निभेने छलाह।

    ओ कहनि जे, मिथिलाक लोक हिनका कहियो नहि बिसरि सकैत अछि। श्रद्धांजलि देबय वला मे परमानंद झा, पंकज चौधरी, कन्हैया झा, जयशंकर चौधरी, उदित नारायण चौधरी, हशमत अली, विजयकांत चौधरी, रतिकांत झा, महादेव पासवान, अशोक पासवान, गुलाम शाहिद, नरेश ठाकुर, राजकुमार पासवान, सुनील चौधरी, गणेश सिंह आदि नेता मौजूद छलाह।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here