कुहेसक कारने सकरी मे बस दुर्घटना, दर्जन भरि यात्री घायल

    0
    24

    मधुबनी, मिथिला मिरर: सकरी-दरभंगा एनएच 57 पर सकरी थानाक समीप कुहेसक कारने एकटा बस दुर्घटनाक शिकार भय गेल। जाहि मे करीब दर्जन भरि यात्री घायल भय गेल। जानकारी के अनुसार बुधदिन भोर मे दरभंगा स लहान जा रहल श्रेया ट्रेवल्स सकरी थानाक समीप फोर लेन स मधुबनीदिस घुमय वला सड़क के पहिने दुर्घटनाग्रस्त भय गेल। प्रत्यक्षदर्शि के अनुसार कुहेसक कारने चालक बस पर अप्पन नियंत्रण नहि राखि सकल, जाहि कारने ई हादसा भेल।

    सूत्रक अनुसार अनियंत्रित भेलाक बाद बस सकरी कोसी प्रोजेक्ट के पुरान भवन स टकरा गेल, यदि उक्त स्थान पर भवन नहि रहैत त कोनो पैघ हादसा भय सकैत छल। स्थानीय लोकक मदद स सब घायलक नजदीक के निजी अस्पताल मे भर्ती कराओल गेल। जतय उपचारक बाद सब के दोसर बस सं पठाओल गेल।
    फोटो-काल्पनिक

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here