गया मे 5 गोट अपराधी गिरफ्तार, भारी मात्रा मे हथियार बरामद

    0
    82

    गया, मिथिला मिरर: हालक दिन मे गया मे लूट अपहरण हत्या आ बलात्कारक घटना मे बेहताशा बढ़ोत्तरी भेल अछि। पुलिसक लेल अपराधी के पकड़नाई चुनौती बनल छल। मुदा अहि चुनौती के स्वीकार करैत जिला पुलिस अप्पन कार्यशैलीक परिचय दैत 5 अपराधी के गिरफ्तार करबा मे सफलता हासिल केलक अछि।

    अहि अपराधी के विरुद्ध पूर्व स विभिन्न थाना मे बहुत रास मामला दर्ज अछि। पुलिस गिरफ्तार अपराधी के संग सं 3 टा देशी कट्टा, 9 टा मोबाइल फोन, 2 टा मोटरसाइकिल, 1 खोखा तथा 4 गोट जिन्दा कारतूस बरामद केलक अछि। गया पुलिस दावा केलक अछि जे, अहि अपराधी के पकड़य गेला के बाद अपराधिक घटना मे काफी कमी आओत आ गया के लोक चैनक नींद सूति सकताह।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here