थानेदार के गोली मारय वला आरोपी गिरफ्तार

    0
    56

    गया, मिथिला मिरर: कोठी थानाध्यक्ष क्यामुद्दीन अंसारी हत्याकांड मामला मे पुलिस के एकटा पैघ सफलता हाथ लागल अछि। बताओल जा रहल अछि जे, मुख्य आरोपी शाने अली आ सहयोगी सानू के एसआईटी दिल्ली सं गिरफ्तार केलक अछि। दुनू आरोपी सं पुलिस गहन पूछताछ कय रहल अछि। संगहि आरोपी के निशानदेही पर जगह-जगह छापेमारी सेहो कायल जा रहल अछि।

    ज्ञात हो कि क्यामुद्दीन अंसारी के हत्या तीन अक्टूबर के भोर मे करीब साढ़े छह बजे कायल गेल छल। मोटरसाइकिल सवार तीन टा अपराधी अंसारी के गोली मारि कय हत्या कय देने छल।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here