जिला कल्याण पदाधिकारी आनंद कुमार के कार्यालय मे छापामारी

    0
    36

    हाजीपुर, मिथिला मिरर: बिहार के हाजीपुर मे निगरानी टीम आय सं अधिक संपत्ति जमा करबाक मामला मे एकटा अधिकारी के कार्यालय मे छापामारी केलक। सूत्रक अनुसार पटना निगरानीक पांच सदस्यीय टीम जिला कल्याण पदाधिकारी आनंद कुमार के कार्यालय मे छापामारी केलक। करीब एक घंटा धरि चलल अहि छापामारी के दौरान निगरानी’क टीम महत्वपूर्ण दस्तावेजक जाँच केलक आ कर्मचारी सं गोपनीय ढ़ंग स पूछताछ केलक।

    निगरानी के अहि कार्रवाई के दौरान हालांकि जिला कल्याण पदाधिकारी आनंद कुमार अप्पन दफ्तर मे मौजूद नहि छलाह। टीमक अधिकारी के अनुसार जिला कल्याण पदाधिकारी आनंद कुमार के खिलाफ आय स अधिक संपत्ति मामला मे शिकायत कायल गेल छल, अहि सन्दर्भ मे जांच पड़ताल कायल गेल।

    हालांकि निगरानी टीम फिलहाल अहि संबंध मे किछु विशेष तौर पर कहबा सं मना कय देलक अछि।निगरानीक टीम के मुताबिक जिला कल्याण पदाधिकारी के दफ्तरक आलावा अधिकारी के अन्य ठिकाना पटना आ आरा मे सेहो छापामारी कायल गेल।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here