शहाबुद्दीन के सर्वोच्च न्यायालय सं झटका, जमानत होयत रद्द

    0
    32

    दिल्ली, मिथिला मिरर: आरजेडी नेता आ सीवान के पूर्व बाहुबली सांसद शहाबुद्दीन के सर्वोच्च न्यायालय झटका दैत नोटिस जारी केलक अछि। संगहि न्यायालय पुछलक अछि जे, कियैक नहि अहाँ के बेल रद्द कायल जाय। हालांकि अहि मामला मे अगिला सुनवाई सोमदिन होयत।

    सर्वोच्च न्यायालय पटना उच्च न्यायालय के आदेश पर अंतरिम रोक लगाबय सं मना कय देलक। न्यायालय कहलक जे, शहाबुद्दीनक पक्षसेहो सुनल जायत।

    अहि मामला मे चंदा बाबु के वकील प्रशांत भूषण कहलनि जे, अहि मामलाक सुनवाई राज्य स बाहर हेबाक चाही। ओ कहलनि जे शहाबुद्दीन कोनो सामान्य अपराधी नहि शहाबुद्दीन पर दर्जनो मामला दर्ज अछि, ताहि कारने शहाबुद्दीन के जेल सं बाहर एलाक बाद सामाजिक सौहार्दय ख़राब होयत। मामला के आगिल सुनबाई सोमदिन निर्धारित कायल गेल अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here