सीताराम यज्ञक समापन, हनुमान जी लगाओल गेल 51 मोनक लड्डू के भोग

    0
    82

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशान्त झा: लहेरियासराय पुलिस लाइन स्थित हनुमान मंदिर मे आयोजित सीताराम यज्ञक आय बुधदिन समापन भेल। समापन के अवसर पर हनुमान जी के 51 मोनक लड्डूक भोग लगाओल गेल। अहि मौका पर बिहार सरकारक राजस्व व भूमि सुधार मंत्री डॉ. मदन मोहन झा, विधायक जिवेश कुमार, संस्कृत विश्वविदयालय के पूर्व कुलपति देवनारायण झा, मौनी बाबा सहित मंदिर के पुजारी समेत बहुत रास भक्तजन उपस्थित छलाह।

    समापन केर मौका पर ‘वंदन श्री हनुमान जी’ पुस्तकक लोकार्पण कायल गेल, ज्ञात हो कि मंदिर प्रांगण मे सब साल सीताराम महायज्ञक आयोजन कायल जाइत अछि। आ लड्डू के भोग अहि ठामक परम्परा बनि गेल अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here