बाढ़ि राहत शिविर मे महिलाक संग दुष्कर्म’क प्रयास

    0
    65
    सूत्रक अनुसार पीड़िता वीरपुर वैशाली के रहय बाली छथि आ अप्पन दिव्यांग देवर एवं दू टा छोट-छोट बच्चाक संग शिविर मे शरण लेबाक लेल आयल छथि। पीड़िता के अनुसार शिविर मे काम करय बला नीतीश राय हुनका असगरे पाबि कय दुष्कर्म करबाक प्रयास केलक। मुदा महिला के शोर मचेलाक बाद लोक जागि गेल।

    घटना के बाद पीड़ित परिवार ओतय सं पलायन कय चम्पापुर स्थित एकटा सामुदायिक केन्द्र मे चलि गेल। पीड़िता के देवर थाना मे प्राथमिकी दर्ज करौलक अछि, जकरा बाद पुलिस फरार आरोपीक तलाश कय रहल अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here