बाढ़ि सं बहुत क्षति भेल अछि, जल्दिये केंद्र सरकार के ज्ञापन भेजब: नीतीश कुमार

    0
    36

    पटना, मिथिला मिरर: सोमदिन मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहलनि जे, बाढ़ि के लय क केंद्र सरकार के जल्दिये ज्ञापन भेजल जायत। भागलपुर एवं कटिहार जिला के बाढ़िग्रस्त इलाका के दौरा कय पटना हवाई अड्डा लौटला पर पत्रकार स बातचीत मे नीतीश कहलनि जे, बाढ़िक प्रभावक आकलन कायल जायत, बहुत ज्यादा नुकसान भेल अछि।

    ओ कहलनि जे, शनिदिन पूर्णिया, किशनगंज एवं अररिया मे समीक्षा कायल गेल। पहिल दौर मे बाढ़ि मे 350 करोड़ रुपैया सं अधिक के नुकसानक आकलन कायल गेल अछि। दोसर दौर के बाढ़ि सं प्रभावित 12 जिला में भेल नुकसानक आकलन जल्दिये कायल जायत। पैघ पैमाना पर राशिक जरूरत होयत, केन्द्र सरकार के जल्दिये ज्ञापन भेजल जायत।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here