16 साल बाद आय ‘बिहारी बाबू’ फेर करताह नाटक, नितीश-लालू बनताह दर्शक

    0
    59

    पटना, मिथिला मिरर: पटनाक लोक के शुक्रदिन एक बेर फेर सं फिल्म अभिनेता आ सांसद शत्रुघ्न सिन्हाक नाटक देखबाक मौका भेटतनि। शत्रुघ्न आ हुंकार टीम आय पटनाक एसके मेमोरियल हॉल मे परफॉर्म करताह। हास्य नाटक ‘पति, पत्नी और मैं’ मे शत्रुघ्न स्वं सेहो अभिनय करताह। नाटकक आयोजन बिहार के कला, संस्कृति विभागक दिस स कायल जा रहल अछि।

    शुक्रदिन शत्रुघ्न सिन्हा जाहि नाटकक मंचन करताह ओहि नाटकक मंचन 16 साल पहिने यानि 17 अक्टूबर 2001 क तत्कालीन मुख्यमंत्री राबड़ी देवी आ लालू के समक्ष कायल गेल छल। शत्रुघ्न सिन्हा अहि नाटक के देखबाक लेल एकबेर फेर मुख्यमंत्री नीतीश कुमार आ लालू प्रसाद स आग्रह केलनि।

    नाटकक मंचन आय साँझ 7 बजे स श्रीकृष्ण मेमोरियल हॉल मे कायल जायत। बृहस्पतिदिन नाटक देखबाक नोत भेटलाक बाद नाटक मे लालूक संग नीतीश के एबाक पूर्ण संभावना जताओल जा रहल अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here