रियो ओलंपिक: पुरुष हॉकी मे भारत के दोसर जीत, अर्जेंटीना 2-1 स पराजित

    0
    45

    मिथिला मिरर, शिवेश झा: रियो ओलंपिक मे भारतीय हॉकी टीम अप्पन शानदार खेल क्षमता देखबैत अर्जेंटीना के हरा पदक जीतबाक अप्पन लक्ष्य दिस एकटा और डेग बढेलक। भारत शुरुआतहिं स अर्जेंटीना पर दबाव बनने छल आ अंत मे अर्जेंटीना के 2-1 स हरा देलक। ज्ञात हो कि 2009 के बाद अर्जेंटीना पर भारतक ई पहिल जीत अछि।

    मैचक आठम मिनट मे भारत दिस स चिंग्लेसाना सिंह कांगुजाम गोल दगलनि, जकरा बाद भारतीय टीम मैच मे दुगना ऊर्जाक संग खेलाय लागल। तीसर क्‍वार्टर (35वें मिनट में) मे कोथाजीत सिंहक दोसर गोल भारतक बढ़त के 2-0 कय देलनि। मैच के 49वें मिनट मे अर्जेंटीना दिस स गोनजालो पेलात गोल दागि कय 2-1 कयलनि। जकरा बाद भारत मैच मे शानदार खेल देखबैत 2-1 के अंतर स मैच अपना नाम करबा मे सफल रहल।

    ज्ञात हो कि भारत आयरलैंड पर जीतक संग अप्पन अभियानक शानदार आगाज कयने छल। भारत के खाता मे आब छह अंक अछि तथा एकटा और जीत भारत के क्वार्टर फाइनल मे पहुंचा देत।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here