भागलपुर मे कांवरिया स भरल बस मे लूटपाट, दर्जन भरि कांवरिया घायल

    0
    39

    भागलपुर, मिथिला मिरर: भागलपुर के शाहकुण्ड थानान्तर्गत बनामा गामाक समीप मंगलदिन तक़रीबन 11 बजे राति मे सुपौल स सुल्तानगंज जा रहल कांवरिया स भरल एकटा बस के अपराधी लूटक शिकार होबय पड़ल। बस मे छह महिला सहित 25 गोट कांवरिया सवार छलाह। सूत्रक अनुसार कांवरिया स लगभग दू लाख रुपैया, मोबाइल, घड़ी सहित अन्य सामान लूटल गेल। कांवरियाक अनुसार लुटेराक संख्या छः छल तथा सब लग हथियार छल।

    प्रत्यक्षदर्शीक अनुसार लुटेराक पिटाई स एक महिला सहित करीब एक दर्जन कांवरिया घायल भेल छथि।लूट आ मारिपीटक घटनाक बाद सब कांवरिया मे दहशत भरल अछि। घटनाक बाद घटनास्थल पर पहुचि कय पुलिस मामला के जाँच मे जुटि गेल अछि।

    वीरपुरक धर्मेन्द्र चौधरी कहलनि जे, बस सुपौल स मंगलदिन दू बजे सुल्तानगंज के लेल चलल छल।चम्पानाला पुल पर पैघ वाहनक रोक के कारण बस कजरैली क रस्ते सजौर-समस्तीपुर-शाहकुण्ड होईत सुल्तानगंज जा रहल छल। सुल्तानगंज स जल भरलाक बाद बुद्धदिन देवघर के लेल बस निकलैत।मुदा जाइये घड़ी मे बनामा पुलक समीप सड़क पर राखल लकड़ी के देखि चालक बस के रोकि देलनि। जकरा बाद हथियार लेने अपराधी बस पर चढ़ि कय उत्पात मचाबय लागल।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here