सुपौलक छातापुरक समस्त शिवालयमे भक्त भारी भीड़

    0
    32

    सुपौल,छातापुर-सोनू कुमार भगत/रवि रोशन भगत: साउनक दोसर सोमवारीमे मिथिलाक संग-संग देश-विदेशक विभिन्न शिव मंदिरमे भक्तक आपर भीड़ भारे सं देखल जा रहल अछि। सुपौलक छातापुर प्रखंडक विभिन्न शिवालयमे भोरे सं बोलबमक नारा सं वातवरण गंजयमान भए रहल अछि। मुख्यालयक बाजार स्थित छत्रपुरेश्वर नाथ शिव मंदिर सहित आसपासक क्षेत्रक सब मंदिरमे भक्त सब भगवान शिव पर जल अपर्ण काए रहल छैथ।
    भोर चाइर बजे सं भक्त भीड़ प्रायः हर शिव मंदिरक प्रांगणमे सहज रूपसं देखल जा सकैत अछि। भक्तक हाथमे फूल, बेलपत्र, फल सहित पूजाक अन्य समान लए भक्त भीड़ बहुत बेसी रमणीय लागि रहल अछि। क्षेत्रक सोहता (गिरधरपट्टी) पंचायतकें काॅलोनी स्थित गरभेश्वर नाथ महादेव कें मंदिरमे सेहो भक्तक उत्साह देखय बला अछि। एतबे नहि ज़िलाक समस्त भोला बाबाक मंदिर पर भक्त ढोल, मृदंग लए कीर्तन-भजन करवामे तल्लीन छथि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here