भाजपा सं ‘रास’ कें लेल गोपाल त ‘विप’क लेल विनोद-अर्जुन केलाह नामांकन

    0
    58

    दिल्ली-मिथिला मिररः भारतीय जनता पार्टीक राज्य सभा उम्मीदवारक रूपमे गोपाल नारायण सिंह मंगलदिन राज्य सभा उम्मीदवारक रूपमे अपन नामांकन दाखिल केलाह त विधान परिषद सदस्य केर लेल विनोद नारायण झा आ अर्जुन सहनी सेहो अपन पर्चा दाखिल केलाह। राष्ट्रीय जनतांत्रिक गठबंधनक नेता आ बिहारक पूर्व मुख्यमंत्री जीतन राम मांझी, गोपाल नारायण सिंहक प्रस्तावक छलाह। मीडिया सं बातचीत करैत मांझी कहला जे हम गठबंधनक नेताक रूपमे गोपाल नारायण सिंह केर नामांकनमे प्रस्तावक बनल रही। हमरा आओर बेसी प्रसन्नता होइत जखन एनडीए अथवा महागठबंधनमे दलितकें सेहो समुचित स्थान भेटैत।

    ओमहर पूर्व मे बिहारक पूर्व उपमुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदीक नाम बिहार भाजपा दिस सं राज्य सभा उम्मीदवारक दौरमे सब सं प्रबल उम्मीदवारक रूपमे छल मुदा गोपाल नारायण सिंहक नाम सामने ऐलाक बाद बहुत रास प्रश्न चिन्ह उठए लागल। हालांकि मीडिया सं बातचीत करैत सुशील मोदी कहला जे केन्द्रीय नेतृत्वक कहब छन्हि जे हम एखन राज्यमे रहि आ राज्यक राजनीति हमरा बेसी रास अवैत अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here