राजदेव हत्याकांडः 5गोट शूटर गिरफ्तार, शहाबुद्दीनक खास लड्डन मियां मास्टर माइंड

    0
    58

    दिल्ली-मिथिला मिररः राष्ट्रीय हिन्दी दैनिक हिन्दुस्तान केंं सीवान ब्यूरो प्रमुख राजदेव रंजन हत्याकांडक 5 गोट शूटर कें यूपी सं गिरफ्तार कैल गेल। पूर्व बाहुबली सांसद आ राजदक राष्ट्रीय कमेटिक हिस्सा शहाबुद्दीन कें खासम-खास लड्डन मियां अहि हत्याकांडक मास्टर माइंड छल आ ओहै पत्रकारक हत्याक लेल सुपारी देने छल।
    गिरफ्तारीक बाद पकड़ायल पांचो आरोपी अपन अपराध कबूल कऽ केलल अछि। पुलिस अहि घटनामे उपयोग कैल गेल हथियारक संग-संग मोटर साइकिलक बरामदगी सेहो कऽ क लेलक अछि। आब सीवान पुलिस एकटा संवाददाता सम्मेलन कऽ अहि घटनाक पाछूक कारण कें सार्वजनिक करत।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here